पाहुन अनठिया मैथिली गीत (विवाहक बाद जमाय पहिल बेर सासुर अबैत छथि। ई गीत हुनकर स्वागत मे परम प्रिय सारि गबैत छथिन्ह)
कोन गाम अहांक घर यौ
अहां लागि अनठिया
बोली अहांके पाहुने जेकां अछि
नाको पिचल अछि अनमन ओहिना
तकबो करै छी अहां डेढ़ यौ
अहां लागी अनठिया।
कोन गाम अहां के घर यौ अहां लागी अनठिया।
माय अहां के सोन सन चमकथि
बाबू त’ जेना दूध सं धोवल
अहां कियै करिया झाम यौ
अहां लागी अनठिया
कोन गाम अहां के घर यौ अहां लागी अनठिया।
हमर पाहुन त’ दौड़ दौड़ चलथि
अहां नेंगराय छी त् त् बजै छी
लागी ने ओही गाछक आम यौ
अहां लागी अनठिया।
कोन गाम अहां के घर यौ अहां लागी अनठिया।
आवि गेलहुं त’ आउ आउ बैसू
हाथ मुंह धोउ चाह ताह पिबू
जा क’ दीदिक हाथ पैर पकरू
तखने त’ हैत अहांक मान यौ
अहां लागी अनठिया
कोन गाम अहां के घर यौ अहां लागी अनठिया।
प्रमोद कुमार
पांडिचेरी 25-11-2019
Comments
Post a Comment