मीत मोर पुर्वा (मैथिली गीत)
मीत मोर पुर्वा
(गीत)
पुर्वा रे मोर, मित मोर पुर्वा
अबिहें कमला नहेने , पुर्वा
कमला मे तु गोंता लगबिहें
अनिहैं पेट मे जल रे पुर्वा
पुर्वा रे मोर..... !
अबैत काल तू घर दिश जैहैं
असोरा पर मां बाबुक फोटो
दू गोट कुर्सी राखल भेटतौ
ओकरा पोछने अबिहैं मिता
पुर्वा रे मोर....... !
घरक दक्षिण भूतनाथ बाबा
उत्तर मे महाराजक ड्यौढ़ी
पुरब मे नवोनाथ विराजथि
पश्चिम मे छै आमक गाछी
पुर्वा रे मोर....... !
एक चुरूक कमला केर पानि
एक मुट्ठी अंगना केर माटि
ओकरे घोरि चानन बनेबै
तिलक करि सुख पेबै रे पुर्वा
पुर्वा रे मोर........ !
प्रमोद कुमार पांडिचेरी 16-10-2019
(पुर्वा =पुरवा हवा)
Comments
Post a Comment