हमर सुंदर कनिञां ( मैथिली गीत)

द्वार पर ठाढ़़ होलिक सुभागमनक अवसर पर अपन प्राण- प्रिया के हमर भेंट( गीत)

              हमर सुन्दर कनिञां

हे यै कनिञां हमर
सुन्नर अहांक साड़ी
गोर अहां रत रत
केश बड़ कारी 
              हे यै कनिञां.....!

आंखि अछि पैघ पैघ
ठोर लेने लाली
ग्रिवा अछि घिचल घिचल
नाक अछि आरी
               हे यै कनिञां....!
रुन-झुन पायल अहांक
चमकै कन वाली
तन भिजत मन भिजत
भिजत अंगिया कारी
               हे मैं कनिञां.....!
हंस सन चालि अहांके
एखनो युवती नारी
रंग बोरव अवीर लेपव
तोरब हम खुमारी
               हे यै कनिञां......!
प्रमोद कुमार उर्फ "नेहरू लाल दास"
पांडिचेरी,17-03-2019

Comments