फोन अएलैया गाम सं (मैथिली गीत)
फोन अएलैया गाम सं
फोन अएलैया गाम सं जे आम फड़लै जी जान सं
जखने गर्मी छुट्टी भेलै पहुंचि गेलहुं सभ गाम पर
फोन अएलैया गाम सं .........।
बंचल सिन्दुरिया एक्के आध केरवी पकै खुब धुरझार
बम्बई के त’ स्वाद ने पुछु मालदहो आव अछि तैयार
फोन अएलैया गाम सं......।
चलै चलू सभ लग्गी लेने बोड़ा लेने पथिया लेने
तोरिहें मालदह पहिले जाक' कलकतिया के वाट देख
फोन अएलैया गाम सं .........।
हम त खैवौ घिबहा पहिने बिज्जू मे तव चोभा लगैब
फैजली भदैया ताकत जं त' कहवै तों सभ बाट ताक
फोन अएलैया गाम सं .........।
कृष्णभोग लडुब्बा दड़िमा गुद्दे गुद्दा सभ गलफुल्ला
मैंगो शेक बना क’ एकरा बैस पियब सभ बीच दलान
फोन अएलैया गाम सं ..........।
पाल परहक कलकतिया मालदह भोर खैव फेर खैब सांझ
अन्नक दाना कखनो क चाइरो पहर खायब आमे आम
फोन अएलैया गाम सं,,....।
प्रमोद कुमार उर्फ नेहरू लाल दास
पांडिचेरी 01-05-2019
Comments
Post a Comment