राखी गीत (मैथिली गीत)

राखी गीत 

भेजलौं लिफाफ मे राखी यौ ,
अहां बान्हि लेब भैया 
छ:टा भाइ बिच दूगो बहिनियां 
आठ शहर आ आठे गो दुनियां 
गाम घर छुटि गेल कहिया ने 

                राखी बान्हि लेब भैया…..!

अक्षत आनि क' चंदन घंसिलेब 
चमकैत भाल पर ठोप लगा लेब 
अपने सं राखी बान्हि लेव यौ 
हमर सोन सन भैया 

                          राखी बान्हि लेब भैया..... !

आनि लेब लड्डू, आनि लेब मेवा 
अपने हाथे खा लेब सबटा 
बहिन के याद क’ कानि लेब यौ 
हमर सोन सन भैया। 

                      राखी बान्हि लेब भैया...!

प्रमोद कुमार उर्फ नेहरू लाल दास 
पांडिचेरी 12-08-2019

Comments