हे यौ नारायण भैया अबियौ ने अंगना (मैथिली गीत)
हे यौ नारायण भैया अबियौ ने अंगना
हे यौ नारायण भैया अबियौ ने अंगना
बिपत्ति पड़ल भारी कनैया' अहांक बहना
भांसल जा रहल अछि घर आ अंगना
हे यौ नारायण भैया………!
झड़ झड़ वर्षा बरसै साउनक महिना
पुर्वा मारै झोंका उड़ा देलकै चनमा
भोरे गेल भोला नहिं ऐला है अंगना
हे यौ नारायण भैया ……!
टाटक घर बांचल कंपै या पात सन
भुखे कानथि कार्तिक आ छोटका गणेश
सोंगर तानि बंचा लिय' हमर घर कहुना
हे यौ नारायण भैया……..!
पता नहिं कतय गेला नारद बभना
करता नहिं किच्छो छथि आगि लेसना
आइ हमरा बिपत्ति पड़ल भेला घरघुसना
हे यौ नारायण भैया……..!
डॉ प्रमोद कुमार
पांडिचेरी,27-7-2020
Comments
Post a Comment