खनकै कंगना (मैथिली गीत)
खनकै कंगना
(गीत)
रून झुन रुन झुन नुपुर बजै छै खनकै छै हथ कंगना रे
द्वारे पर काकी बैसल छै कोना जेतै ओ अंगना रे।
रुन झुन......... ।
मोरनी बैसल बाट तकै छै कखन औता मोर सजना रे
दुष्ट सखी सब घेरने ओकरा बाट ने दै छै कहुना रे
रुन झुन......... ।
काजरो आब पसरि रहल अछि मुरझा रहलैया' गजरा रे
बाट तकैत त’ भोर भ’ जेतै निठुर कियै भेल बिधना रे
रुन झुन............ ।
रातिक रानी गमकि क’ हारल पैरक पायल छनकि क’ थाकल
निद्रा रानी जोर मारलकै थमकि गेलै हृद वीणा रे
रुन झुन............।
प्रमोद कुमार पांडिचेरी
25-102019
Comments
Post a Comment