सखी रे चलू आई झूला झूली (मैथिली गीत)
सखी रे! चलु आई झूला झूली
बहुत जतन सँ गाम ऐलहुं हम ,सोनाक पिंजरा खोलि
गाछी बिरछी घुमि घुमि क' हम , आमक टिकुला बीछी
सखी रे चलू..........।
आमक डाढ़ि पर डोरी बान्हब हौले हौले झूला झुलब
कखनों निचा कखनों ऊपर , पेंग बढ़ा नभ छू ली
सखी रे चलू.......... ।
गर बहियां द'गीत हम गयवै,बिच बिच मे टिकुलो हम खेबइ
छोटका बरका सं खोंइंछा भरवै, खन गावी खन ठी ठी
सखी रे चलू......... ।
डंटतै माय’ जँ भागि पड़ेवै जानि बूझि क’ गाल फुलेबइ
बौंस’ अओतै माय’ जखन त' गरा पकरि फेर खी खी
सखी रे चलू............. ।
प्रमोद कुमार उर्फ नेहरू लाल दास
पांडिचेरी 29-05-2019
Comments
Post a Comment