हम त’ चंदा मामा छी (ननमुन सभ के समर्पित) (मैथिली बाल गीत)



हम   त'   चंदा   मामा  छी
घुमैत   फिरैत   रहैत   छी
जतय कतहु बच्चा कानल 
मक्खन   मिश्री   लवै   छी 

                 हम त’ चंदा मामा छी। 

पहिले    सूतय     टिन्नूजी 
पाछा  ओकर   लिट्टु   दी
सबहक पाछा पुट्टुल सुतै
हम  त’  सबटा   देखै   छी। 

          हम त’ चंदा मामा छी। 

कखनो खिड़की सं हम आवी 
कखनो   केबारक   दौगी   सं
थपकी द’  क'  लोरी   सुनावी
बच्चा   सभ    के   सुतवै   छी 

           हम त’ चंदा मामा छी 

सूरज जखने सूत’ जाइयै
हम  ड्युटी  पर  लगै  छी 
मुन्ना  मुन्नी   हंसैत  रहय 
इहै   लक्क्षय   बनौने  छी। 

           हम त’ चंदा मामा छी। 

प्रमोद कुमार उर्फ नेहरू लाल दास 
पांडिचेरी 15-05-2019

Comments