हे गई पानि भरनी ( मैथिली गीत)
हे गई पानि भरनी
( मैथिली गीत)
हे गई पानि भरनी कत्त चलि गेलही
नईं रहल गाम घर आ ने गाछी बिरछी
भांसि गलै इनार आ फुइट गेलै बसनी
हे गई पानि भरनी कत्त चलि गेलही….!
बच्चे सं देखलियै तों निस दिन अबही
वासन मांजि मुजि मसल्ला तों पिसही
कखनों बाजैं मिठ मिठ कखनों तमसाही
हे गई पानि भरनी कत्त चलि गेलही …..!
कखनों लागल चिप्पी ओ कखनों नव साड़ी
नहिं बुझलियौ तोरा हम आन घरक नारी
हमरा सब लै जेना तों पीसी आ दीदी
हे गई पानि भरनी कत्त चलि गेलही….!
माय जे कहौ तोरा साग तोरि लबही
पाछू पाछू हम तोहर बनि जैयौ नंगरी
अपने तोरैं साग आ हमरा दियै छिमी
हे गई पानि भरनी कत्त चलि गेलही….!
डॉ प्रमोद कुमार
पांडिचेरी,9-7-2020
Comments
Post a Comment