रे करोना भाग तों
रे करोना भाग तों
चोर जकां तू अएलैं रौ
चोरे जकां भागि जो तू
नहिं त' डांग देखै छिही बड़का
बुझि लेबौ हम मरुआ पुत्ती
सुखा देबौ हम रौद में
मारि डांग हम झारबौ तोरा
साबुन सं लेबौ हाथ धोय
नेवो पानि पिवौ भरि पेट
नहिं भगबैं त' जेबैं मरि
हम छी हिन्दुस्तानी
व्यबहार सनातन हमर रौ
नहिं ककरो सं हाथ मिलेबौ
दूरहि सं करबै नमस्कार प्रणाम
मेला ठेला हम नहिं जयबौ
धिया पुता के छुट्टी द' क'
किछु दिन ले आराम करेबै
करि आराम मोट सोंट हेतै
दगुन जोश सं काम पर जेतै
तों त' आव बस बनलैं भूत
नहिं रहतौ तोहर धिया
आ ने रहतौ तोहर पूत !
डॉ प्रमोद कुमार
पांडिचेरी,16-03-2020
Comments
Post a Comment