होली के हुड़दंग

  

एक हाथ मे रंग लेने छथि
एक हाथ पिचकारी
गली गली मे घुमैथ कान्हा
ताकैत राधा प्यारी ।
                        जोगिरा सारा रा रा !
ढ़ोल मजिरा बाजि रहल छै
बजै छै मृदंग
कान्हे संगें नाचै सबकोई
मचल छै हुरदंग
                   जोगिरा सारा रा रा !
क्यो मारै पिचकारी पिच पिच
क्यो उड़वै गुलाल
युवक युवती मौज मनावै
बुढ़वा भेलै बेहाल
                  जोगिरा सारा रा रा !
पुआ पुरी खाकऽ सबके
पेट भेल छै टंच
उपर सं भांगक गोला दऽकऽ
नाचै छमाछम
          जोगिरा सारा रा रा !
के अमीर के गरीब छै भैया
के उंच के नीच
सब त' एक्कै रंग रंगल छै
होली छै बड़ नीक
         जोगिरा सारा रा रा !

डॉ प्रमोद कुमार
पांडिचेरी,09-03-2020





Comments